Friday, December 14, 2012

रा.रा.ब.मे विद्यापति पर्व समारोह मैथिली पढएवाला विद्यार्थीक संख्या बढब प्रसन्नताक बात ः पोखरेल (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)



जनकपुरधाम, अगहन २८ ।
मैथिली भाषाक महाकवि विद्यापतिक स्मृति दिवस जनकपुरक रामस्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसक प्राङ्गणमे वृहस्पतिदिन सम्पन्न भेल अछि । ओ समारोहमे विद्यापतिक व्यक्तित्व एवं कृतित्व पर चर्चा कएल गेल छल ।
मैथिली विभाग द्वारा आयोजित ओ समारोहमे वक्तासभ मैथिलीक विकासक लेल सरकारके विशेष योजना अनाए माँग कएने छल । समारोहमे प्रमुख अतिथिक आसनसँ बजैत त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तरर्गतक मानविकी तथा समाज शास्त्रक डिन चिन्तामणी पोखरेल कहलन्हि मैथिलीक विकास सहज रुपसँ भऽ रहल अछि । एकर उदाहरण मैथिली पढएवालाके क्याम्पससभमे वृद्धि होएब रहल अछि ।
कोनो भाषाके रोजीरोटीसँ जोडलाक बादे ओकर विकास होइत अछि ई सत्यके बुझैत एहिक लेल काज करएके आवश्यकता रहल हुनक कथन छल । ओ त्रिभुवन विश्वविद्यालय मैथिली विभागके आगा बढब देखए चाहि रहल अछि उल्लेख कएलन्हि ।
समारोहमे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल कार्यपत्र प्रस्तुत करैत मैथिलीक बाधक मैथिल सभ सेहो रहल स्वीकार कएलन्हि । अपन अधिकारक लेल मैथिल सभके आवाज उठाबएके ओ माँग कएलन्हि ।
संगीत नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ रमेश रञ्जन झा प्राथमिक विद्यालयसँ एमएधरि मैथिलीके पढाई शुरु करबाक माँग कएलन्हि । सँगहि ओ डिग्री बाटएके परम्परा अन्त करबाक माँग सेहो कएलन्हि अछि ।
वरिष्ठ साहित्यकार डा. रेवती रमण लाल रामस्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसके मैथिलीके दृष्टिसँ नमूना क्याम्पस बनाबए आग्रह कएलन्हि अछि ।
मिथिला नाट्यकला परिषदक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक सेहो बाहरसँ जनकपुर आबएवाला लोकके राराब क्याम्पसमे पुरो मैथिलीके झलक भेटैक तेहन योजना आनए क्याम्पस प्रशासनके सल्लाह देलन्हि अछि ।
नेकपा माओवादीक मिथिला क्षेत्रक सचिव रोशन जनकपुरी मैथिली विकासक लेल युवा सभके जागरुक करबाक आवश्यकता उपर जोड देलन्हि अछि ।
तहिना क्याम्पसमे मुह देखि कऽ पाठ्यक्रम निर्माण करबाक प्रवृति समाप्त करबाक माँग कएलन्हि अछि ।
समारोहमे रामस्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पसक क्याम्पस प्रमुख विष्णुदेव यादव मैथिली विकासमे डा. धीरेन्द्रक योगदानके स्मरण करैत ओहन व्यक्तित्व सभके आवश्यकता रहल उल्लेख कएलन्हि ।
पं्राध्यापक संघ राराब क्याम्पस इकाई कमिटीक सभापति अनिल साह मैथिली लेखनके सभ पढि सकैक, सभ बुझि सकैक एहन भाषा बनाबएके माँग कएलन्हि अछि ।
कार्यक्रम मैथिली विभागक विभागा प्रमुख परमेश्वर कापडिक सभापतित्वमे भेल छल । कार्यक्रममे धीरेन्द्रक कविता संग्रह छिरियाएल फुलके विमोचन कएल गेल । तहिना शास्त्रीय गायक रामसोभित राउतके ओ समारोहमे सम्मान कएल गेल ।

No comments:

Post a Comment