Monday, December 10, 2012

विद्यापति पर्व ,राजीव नगर ,पटना :-----काल्हि दिनांक ८ दिसंबर २०१२ क’ मिथिला संस्कृति विकास समिति राजीव नगर ,पटनाक तत्वाधान मे मनायल गेल (रिपोर्ट सत्यनारायण झा)


विद्यापति पर्व ,राजीव नगर ,पटना :-----काल्हि दिनांक ८ दिसंबर २०१२ क’ मिथिला संस्कृति विकास समिति राजीव नगर ,पटनाक तत्वाधान मे विद्यापति पर्व मनायल गेल |एहि कार्यक्रमक उदघाटन पूर्व मुख्यमंत्री डा० श्री जगन्नाथ मिश्र केलनि तथा मिथिला ,मैथिल आ मैथिलीक किछु समस्याक दिस अपन बिचार रखलनि |जतेक वक्ता बजलाह ,सभ डाक्टर साहेब क’ अभिवाभाक संबोधन सं संबोधित केलनि |वास्तव मे डाक्टर साहेब अभिभावकक मुद्रा मे मैथिली भाषाक लेल चिंता व्यक्त केलनि |हुनकर इशारा मैथिली भाषाक ह्रास दिस छल |आजुक बच्चा अपना घर मे मैथिली नहि बजैत छथि | आजुक बच्चा मैथिली बिसरि रहल छैक |एहि पर बच्चाक अभिभावक क’ ध्यान देबाक चाही |मैथिली हमर पहचान थीक |मैथिलीए नहि त’ मैथिल कतय ?डाक्टर साहेबक चिंता यथार्थ |हमरा सभ क’ हुनक चिंता पर ध्यान देबाक चाही |
रंगा रंग कार्यक्रम देर राति तक चलल |नीक बेजाय कार्यक्रम होयत रहल |सभ सं नीक प्रस्तुति भेल श्री परमानन्द मिश्र आ हुनक टीम द्वारा नृत्यक प्रस्तुति |पारम्परिक कमला मैया पूजाक भगताक नृत्य ,जट-जटीनक नृत्य आ विद्यापतिक गीत पर नृत्य ,साथे परमानन्द जीक सुन्दर गीत श्रोता सभ क’ मुग्ध केलक |
सभ सं नीक बात जे राजीव नगर मे लागल ओ समितिक सदस्य सभ मे अदम्य उत्साह आ सुन्दर व्यबस्था |
समितिक अध्यक्ष ,उपाध्यक्ष ,महासचिव ,सचिव आ राजीब नगरक बासी सभ उत्साहक संग श्रोता सभ क’ सम्मान केलनि |सभ मिला क’ रातुक कार्यक्रम उत्तम छल |

No comments:

Post a Comment