Monday, September 10, 2012

नहर प्रबंधन क’ लेल सलाहकार समिति (रिपोर्ट सत्यनारायण झा)


नहर प्रबंधन क’ लेल सलाहकार समिति -----आइ हिन्दुस्तान अखवार मे देखलियैक जे नहर प्रबंधन क’ लेल सलाहकार समिति बनतैक |ई अवधारणा जाहि महापुरुषक छनि हुनका क्षेत्रीय ज्ञान प्रायः शुन्य छनि |बिहार नहर प्रणाली मे एहन समिति बहुत पहिने बनि गेल छैक |एकर सुरुआत पाली सं भेलैक आ सुने मे आयल प्रयोग बहुत सफल रहलैक |पता नहि असलियत की रहैक ?सरकार एहि सं उत्साहित भ’ एकरा आओर बिस्तारीकरण कएलक |
एहि प्रयोगक अंतर्गत ५३ नहर समिति क’ तत्काल गठन भेल |एकोटा समिति सही ढंग सं काज नहि केलक |हर समिति क’ रेभेन्यु वसूली क’ अधिकार देल गेल |३० प्रतिशत सरकारी कोष में जमा करक छलैक आ बांकी निधि सं नहर क’ रख रखाव करक छलैक |बिहार मे सोन नहर क’ अंतर्गत १०० प्रतिशत सिंचित क्षेत्र छैक |सोन नहर प्रणाली असगर पुरा बिहार क’ भोजन करा सकैत अछि मुदा ई नहर समिति एकरा तहस नहस क’ देलकै | नहरक हालत बर खराब छैक |सरकारी कोष में एकोटा पैसा समिति जमा नहि केलकै |हर समिति एकरा अपन जागीर बना लेलकै |ओहि ठाम जे सरकारी कर्मचारी आ पदाधिकारी पदास्थापित छथि ओ जनताक कोप भाजन बनैत छथि |सलाहकार समिति बनला सं पहिने त’ समितिक सचिव ,अध्यक्ष पर सरकारी पैसाक दुरोपयोग लेल एफ० आइ० आर० दर्ज हेबाक चाही |सरकार क’ पहिने देखबाक चाही जे समिति के नहर पर केहन प्रभाव छैक |जनता की चाहैत छैक ?
हमरा कतेक लोक सं गप भेल अछि जे ओ लोकनि समिति नहि चाहैत छथि |जखन समिति फेल भ’ गेल छैक त’ पुनः समिति क’ सौपनाइ कहाँ तक सही हेतैक ?हम सरकार सं अपील करैत छी जे समिति क’ नहर नहि सौपबाक चाही आ समिति जे सरकारी रेभेन्यु रखने छैक ओकरा सभ पर विधि सम्मत कार्र्बाई कएल जाय |

No comments:

Post a Comment