Monday, September 17, 2012

विद्यापति स्मारकमे घण्टा घडीके उद्घाटन (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )


जनकपुरधाम, आसिन १ ।
जनकपुरक विद्यापति चौक स्थित विद्यापति स्मारकपर घण्टा घडीके विधिवत रुपमे सोमदिन स्थापना भेल अछि ।
जनकपुर नगरपालिका–४ के हेमचन्द्र चौधरी आ इन्दिरा देवीद्वारा सहयोग कएल गेल एहि घण्टाघडीके एक समाराहके बिच सद्भावना पार्टीक केन्द्रिय सदस्य लालकिशोर साह, हेमचन्द्र चौधरी आ इन्दिरा देवी चौधरी संयुक्त रुपमे उद्घाटन कएलन्हि । केन्द्रिय सदस्य साहक संयोजकत्व आ चौधरी सचिव रहल समयमे विद्यापति स्मारकके निर्माण कएल गेल छल । विद्यापति स्मारक निर्माणमे मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार स्वर्गीय पण्डित सुन्दर झा शास्त्रीक सेहो महत्वपूर्ण योगदान रहल छल ।
नेपालमे एहि प्रकारक घडी कोनो स्थान पर नहि लागल प्राविधिक सभ बतौलन्हि अछि । ई घडी प्रत्येक घण्टाक समय आवाजद्वारा लोकसभके अवगत करबैत अछि । करिब ८ लाख खर्च लागल ई घडीके लगावयमे हेमचन्द्र चौधरीक पुत्र राजेश चौधरी (राजु) के महत्वपूर्ण भूमिका रहल विद्यापती स्मारक समितिक संयोजक चन्द्रमोहन चौधरी जानकारी देलन्हि अछि ।
२०५३ सालमे निमार्ण भेल स्मारकपर घडी लगएबाक लेल बहुतो बेर प्रयास कएल गेल । मुदा उचित सहयोग प्राप्त नहि भेलाक कारण घडी लागय नहि सकल छल । समारोहमे स्थानीय बुद्धिजिवी, नागरीक सामाज, व्यवसायी, पत्रकार, युवा क्लब लगायतके प्रतिनिधीसभके सहभागिता छल ।
घण्टीक आवाज सुनए लेल विद्यापति चौक पर दिनभरि भीड लागल छल ।

No comments:

Post a Comment