Sunday, September 23, 2012

प्रसिद्ध तवला बादक साजन रामके श्रद्धाञ्जली (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)



विहारक झंझारपुर मे भेल एक जीप दुर्घटनामे मिथिलाञ्चलक चर्चित तबला नालबादक साजन राम सहित पाँच गोटेके निधन भेल अछि । जाहिमे वेन्जौ बादक राजु जी सेहो रहल छथि । साजन राम, राजु जी, कुञ्जविहारी मिश्र सहितक मिथिलाञ्चलमे एकटा चर्चित टोली रहल अछि । कुञ्जविहारी मिश्रके मिथिलाञ्चलक स्वरसम्राट बनाबएमे प्रसिद्ध तवाल बादक साजन राम, राजु जी सनक व्यक्तिक महत्वपूर्ण हात रहल अछि । हिनकरसभक अभाव मिथिलावासीके बहुत खटकत । मिथिलाञ्चलमे मैथिली गीत संगीत दिस लोकके झुकाब भेल अछि । मुज्जफ्रपुर वा पटनाके आर्केष्टा मात्र नहि मैथिलीक सांस्कृतिक टिमसभके सेहो लोक आमन्त्रण करए लागल अछि । एकर श्रेय साजन राम, राजु जीसभक बहुत अछि । ओसभ अपन झमटगर कार्यक्रम द्वारा अगल छाप छोडि रहल छलथि । साजन राम आ राजु जी सन लोक आई हमरा अहाँ सभलग नहि छथि मुदा हुनकर सपना अर्थात हरेक उत्सवमे मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम होइक से सपना पुरा करए पड़त । एहिक लेल सम्पूर्ण मैथिली भाषीके एकजुट होबए पड़त । अन्तमे दुनू गोटेके हार्दिक श्रद्धाञ्जली अछि । सँगहि एहि दुर्घटनामे घाइल भेल मिथिलाञ्चलक चर्चित गायक कुञ्जविहारी मिश्र आ गायिका अर्चना सिन्हाके शीघ्र स्वास्थ्य लाभके कामना करैत छी ।

No comments:

Post a Comment