Monday, September 10, 2012

जनताक साथ धोखा (रिपोर्ट सत्यनारायण झा)


धोखा -----बिहार राज्य मे कइएक लाख शिक्षकक बहाली भेलैक | समाज मे जतेक अनपढ़ ,गवार ,आन्हर ,बकलेल ,ढहलेल ,महामूर्ख सभ छल से शायदे छुटल ,मुदा कतेक प्रतिभाशाली ,योग्य आ कर्मठ सभ छल से सभ एहि लेल नहि चुनेला जे ओ लोकनि सवर्ण छथि |कोनों बात नहि जे नियम छैक ताही अनुसार ने चुनाव हेतैक |मुदा एकर मतलव ई नहि छैक जे अयोग्य के शिक्षक में राखि लिअ आ नीको लोकक धीया पुता क’ मूर्ख बना दियैक कारण मूर्ख शिक्षक की शिक्षा देतैक ?काल्हि शिक्षक दिवसक सुअवसर पर कइएक कार्यक्रम रहैक ओही कार्यक्रमक क्रम मे ‘ताजा ‘चेनेल पर एकटा कार्यक्रम चलैत रहैक |चेनेल शिक्षक सभक इंटरभ्यु देखबैत रहैक |शिक्षक दिवसक विषय मे पुछल जाइत छलैक | शिक्षक सभ सहरसा जिलाक छलाह |हुनका सभक तयदाद लगभग दस रहनि | पहिल प्रश्न रहैक शिक्षक दिवस कियैक मनायल जाइत छैक ? पहिने प्रधाना अध्यापक क’ पुछल गेलनि |ओ बेचारे चुप रहलाह |तहन हुनका पुछल गेलनि जे शिक्षक दिवस जन्म दिन क’ लेल मनायल जाइत छैक आकि शहादत दिन क’ लेल |बारी बारी सं पुछल गेलनि आ सभ शहादतक लेल बजलाह |मुदा किनकर शहादत भेल रहनि से केकरो नहि बुझल रहनि |सर्व पल्ली राधाकृष्णन के छलाह ,से केकरो नहि बुझल रहनि ,मात्र एक शिक्षक के बुझल रहनि ओ कहलखिन ओ बैद्य छलाह |एखन राष्ट्रपति के छथि ?एकगोटा कहलखिन ,मनमोहन सिंह दोसर सुधार केलखिन जे प्रतिभा पाटील |एकोटा शिक्षक जनबरी आ फरबरीक स्पेलिंग नहि बता सकलाह |एहेन एहेन कतेक प्रश्न पुछल गेल मुदा एकोटाक जवाव सही कियो नहि देलक |
सवाल छैक एहेन शिक्षकक बहाली के केलक ओ राज्य द्रोही थीक |ओकरा पर ४२० क’ मुकदमा चलबाक चाही |एहि शिक्षक पर जनताक पैसा खर्च होयत छैक |ई त’ दिन देखारे डकैती छैक |सरकार क’ चाही एहि शिक्षक सभ के तुरत बर्खास्त करे बा कोनों अनपढ़ बाला काज लिए | जनताक साथ धोखा |

No comments:

Post a Comment