Saturday, September 22, 2012

राकेश सिन्हा जी : भोजपुरी सीरियलके माध्ये मैथिली सेवा (रिपोर्ट भास्कर झा)


सिनेमा ओ सीरियलके माध्यमसं मैथिलीक सेवा केना करी ,ई बात सब गोटे के मन में रहैत छैन।भोजपुरी सिनेंमा आ सीरियलक लोकप्रियता सं मैथिलीक सेवा केना कायल जा सकैत अछि जदि ई बात बुझ चाहैत छी त अहां निर्माता निर्देशक राकेश सिन्हा जी सं सीख सकैत अछि। राकेश जी भोजपुरी में कयकटा सीरियलक निर्माण ओ निर्देशन केने छैथ। हिनका बारेमें विशेष जनबाके होय त अहि ठाम पढु । हिनकर सीरियलमें मैथिलीक चर्चित फ़िल्म ‘ ससता जीनगी महग सेनुरक” मुख्य अभिनेता ललितेश जी, लल्लन सिंह , मोना राय, “हमर अप्पन गाम अप्पन लोक”क नायक कमलेश पाण्डेय आदि के अपन सीरियल में अभिनयक अवसर प्रदान केने छैथ। अपन भोजपुरी सीरियल “ घर पहुंचा द देवी मैया” में एकटा मैथिली बाजय बाली पात्रक इस्तेमाल केने छलैथ जेकि पूरा सीरियल में मैथिलीये बाजय छलीह। ई भूमिका मैथिल अभिनेत्री मोना राय केने छलीह जेकि खूब चर्चित भेल छलीह। सीरियलक कैमरामेन निशिचन्द्र जी छलैथ जेकि मधुबनी के रहनिहार छैथ।

भोजपुरी सीरियलमें मैथिल अभिनेता ओ अभिनेत्री के काज देबय के अतिरिक्त, राकेश जी सीरियल में समय समय पर कवि कोकिल विद्यापतिक गीतक प्रयोग केने छलैथ जेकि अपने आपमें महत्वपूर्ण अछि। आजुक समयक मांग़ थीक कि सब मैथिल निर्माता ओ निर्देशक अपन फ़िल्म ओ सीरियलमें एहने प्रयोग करैथ आ मैथिल कलाकार के अभिनय प्रतिभा देखाबके अवसर प्रदान करैत। एहन मैथिल पर के नहिं गर्व कय सकैत अछि।

एखन किछु देर पहिने हिनका सं गप शप भेल जाहिके दौरान बड्ड हर्खक संग कहलाह कि वो आब अपन मातॄभूमिके लेल उल्लेख़नीय काज करय चाहैत छैथ। अहि लेळ हिनका पास प्रोजेक्ट छैन आ काज कय रहल छैथ।-------- भास्कर झा

No comments:

Post a Comment