Wednesday, September 19, 2012

सुशिल कोइरालाक पत्रकार सम्मेलन ‘हमहुँ मैथिल छी’ (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा )



जनकपुरधाम, आसिन २ ।
नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला हमहुँ मैथिल छी बतौलन्हि अछि । नेपाल प्रेस युनियन धनुषाद्वारा जनकपुरमे मंगलदिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे सभापति कोइराला तीन पुस्ता सँ जे व्यक्ति मिथिलाञ्चलमे रहल अछि ओकरा मैथिल नहि बुझल गेल तऽ अन्याय हएत उल्लेख कएलन्हि अछि । पार्टी दिस सँ मिथिलाञ्चलमे होबएबला सांस्कृतिक कार्यक्रमसभमे मैथिलीमे कार्यक्रम करय लेल निर्देशन देने सेहो ओ जानकारी देलन्हि ।
इम्हर एक दोसर प्रसंगमे सभापति कोइराला राष्ट्रपति डा.रामवरण यादव प्रधानमन्त्रीक कार्यकारी अधिकार उपर हस्तक्षेप कऽ रहल एकीकृत नेकपा माओबादीक नेतासभ आरोप लगा रहल समय राष्ट्रपतिके बचाबए लेल आगा आएल छथि ।
राष्ट्रपतिकँे बचाब करैत सभापति सुशिल कोइराला गलत बाट चलि रहल माओवादीकेँ हस्तक्षेपक भ्रम मात्र भेल उल्लेख कएलन्हि अछि ।
राष्ट्रपति संरक्षक आ पालक सेहो रहला सँ देशकेँ अराजकता सँ वचाबए लेल विशेष रुचि राखि सकैत छथि हुनक कहब छल ।
राष्ट्रपति कोनो प्रकारक हस्तक्षेप नहि कएने कहैत सभापति कोइराला राजनीतिक अस्थिरताकँे समाप्त करवाक काज कऽ रहल उल्लेख कएलन्हि अछि ।
अपने शीघ्र चुनावक पक्षमे रहल ओ कहलन्हि ।
एक हप्ता भितर देश नयाँ गति लेत चर्चा करैत ओ कहलन्हि काँग्रेस, एमाले आ माओवादी बीच सहमतिक विन्दु खोजी भऽ रहल अछि ।
नेपाल प्रेस युनियन धनुषाक अध्यक्ष प्रवीण साहक अध्यक्षतामे भेल ओ समारोहमे काँग्रेस महामन्त्री प्रकाश मान सिंह, केन्द्रीय सदस्यसभ लीला कोइराला, आनन्दप्रसाद ढुङ्गाना, महेन्द्र यादव, सार्वजनिक लेखा समितिक पूर्व सभापति राम कृष्ण यादव, जिल्ला सभापति राम सरोज यादव सहितक सहभागिता छल । कार्यक्रमक संचालन प्रेस युनियक सचिव शैलेन्द्र झा कएने छलथि ।

No comments:

Post a Comment