Friday, September 7, 2012

कलयूगी बेटा द्वारा मायक हत्या (रिपोर्ट सूदिप कूमार झा ,महोत्तरी)



महोत्तरी जिल्लाक पशुपतिनगरमे एक बेटा अप्पन माय के गोली दाइग हत्या केलक अछि ।
मंगलदिन घरक विषयमे बादविवाद भेला बाध पशुपतिनगर–२ रहनिहार रामबाबु ठाकुर अप्पनाके जन्म देनिहार माय सुमित्रा देवीके गोली दाइग हत्या केलक अछि । गोली छातीमे लगला बाथ हूनक घटनास्थलमे मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवास जनौलक अछि ।
मयााक हत्यारा रहल ठाकुर अखैन फरार रहल अछि । प्रहरी ओकर घरमे खानतलाशी करबाक क्रममे एक थान कटुवा पेस्तोल, ओहिमे प्रयोग होबबला तिन राउण्ड गोली, जनमोर्चा नेपालक पर्चा समेत बरामद केने जनैलक अछि ।

No comments:

Post a Comment