Friday, August 24, 2012

महोत्तरीक मिथिला विद्यालयमे फिनल्याण्डक टोली पहुँचल ‘मैथिलीक विकासमे हमहुँ सभ योगदान करब’ (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)




जनकपुरधाम,भादव ७ ।
महोत्तरी जिल्लाक हतिसर्वा गाविसक श्रीनगरमे रहल श्रीनगर सामुदायिक मैथिली प्राथमिक विद्यालयमे फिनल्याण्डक टोली पहुँच मातृभाषामे धियापुताके पढाई कोना भऽ रहल एकर जानकारी लेलक अछि ।
ओ टोलीमे जुहो लेप्पानेन, रिको प्रिक्लेन आ मिकाइल हतोला रहल छथि । मातृ भाषा ओहूँमे मैथिली भाषामे पढाई देखि अपने सभके बहुत प्रसन्नता भेल टोली लिडर रहल जुहो लेप्पानेन मिथिला डटकमसँग बातचित करैत कहलन्हि । ओ टोली विद्यार्थी सभसँ अपन अनुभव सेहो सेयर कएलन्हि ।
फिनल्याण्डक तीनू नागरिक फिनल्याण्डासँ भ्यान यात्रामे नेपाल आएल छथि । एहिक्रममे रुस, काजिक्स्तान, क्रिग्रिस्तान, चीन, पाकिस्तान, भारत होइत नेपाल आएल छथि । गाडीएसँ फेर फिनल्याण्ड जाएके तीनू गोटेके कार्यक्रम रहल अछि ।
करिब २० हजार किलोमिटरक ओ यात्रा क्रममे होबएवला आम्दानी आफन्त नेपाल आ ट्रान्सफरमेशन नेपालके देबएके ओ घोषणा कएलन्हि । आफन्त नेपालक कार्यक्रम मैथिली विकासक लेल रहल अछि ।
आफन्त नेपाल धनुषा आ महोत्तरीक पाँच टा विद्यालयमे मैथिली भाषामे पढाई शुरु कएने अछि । मैथिली भाषाक पढाईके प्रति विद्यार्थीमे क्रेज तऽ अछिए बाहरसँ जाहि रुपसँ समर्थन प्राप्त भऽ रहल अछि एहिसँ काज करएमे सुविधा भऽ रहल आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष प्रदीप यादव कहलन्हि ।
जल्दिए ओ विद्यालय सभके सुविधा सम्पन्न बनाएब सेहो ओ घोषणा कएलन्हि । महोत्तरीक श्री नगरक मैथिली विद्यालयक कारण ओ गामके सेहो नमूना गाम बनाबएके सोच ओहि क्षेत्रमे विकास भऽ रहल अछि ।
मुसहर समुदायक बस्ती रहल श्रीनगरमे अधिकांश धीयापुता मैथिली भाषामे प्राथमिक शिक्षा लऽ रहल अछि । ओ विद्यालयक व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष पलट सदा कहैत छथि– मातृ भाषामे पढाई भेलाक कारण विद्यार्थी सभमे अकल्पनीय विकास भऽ रहल अछि ।
ओ गाममे मात्रे सवाँ सय विद्यार्थी मैथिली भाषामे पढि रहल अछि । फिनल्याण्डक नागरिक सभ द्वारा सहयोगकेँ आश्वासन देलाक बाद ओ सभ आओर उत्साहित भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment