Wednesday, August 15, 2012

पहिल साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार २०११ समारोह २५ अगस्त २०१२ केँ भुवनेश्वरमे- ऐ बेर मिथिलासँ तीन गोटे पुरस्कृत हेताह- २४ अगस्त २०१२ केँ अनुवाद पुरस्कार २०११ देल जाएत

-पहिल साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार समारोह २५ अगस्त २०१२ केँ भुवनेश्वरमे
- ऐ बेर मिथिलासँ तीन गोटे पुरस्कृत हेताह
-मैथिली लेल मधुबनीक आनन्द कुमार झा (हठात परिवर्तन - नाटक), हिन्दी लेल खगड़ियाक उमाशंकर चौधरी (कहते हैं तब शहंशाह सो रहे थे- कविता संग्रह) आ संस्कृत लेल मधुबनीक परमानन्द झा (काव्य कावेरी, पद्य संग्रह) क चयन कएल गेल अछि।
आनन्द कुमार झा

उमाशंकर चौधरी
परमानन्द झा

-कार्यक्रम २५ अगस्त २०१२ केँ सायं साढ़े पाँच बजे सँ जयदेव भवन, अशोक नगर, भुवनेश्वर (ओड़िसा) मे हएत।
-साहित्य अकादेमीक अनुवाद पुरस्कार २०११ समारोह सेहो भुवनेश्वरमे हएत, ई कार्यक्रम २४ अगस्त २०१२ केँ सायं साढ़े पाँच बजे सँ जयदेव भवन, अशोक नगर, भुवनेश्वर (ओड़िसा) मे हएत। मैथिली लेल खुशीलाल झाकेँ (उपरवास कथात्रयी, रघुवीर चौधरीक गुजराती उपन्यासक मैथिली अनुवाद) लेल ऐबेर अनुवाद पुरस्कार देल जा रहल छन्हि।

No comments:

Post a Comment