Friday, July 6, 2012

महोत्तरीमे मैथिली विद्यालय प्रभावकारी भ˜ रहल (रिपोर्ट सुजीत कुमार झा)




श्रीनगर(महोत्तरी), अखार २१ ।
महोत्तरी जिल्लाक हतिसर्वा गाविसक श्रीनगरमे संचालित मैथिली विद्यालय ओहि क्ष्ोत्रक आकर्ष्ाण्ाकेँ केन्द्र बनि रहल अछि ।मैथिली भाष्ाामे पढार्इ होइत अछि र्इ खबर पविते विभिन्न क्ष्ोत्रक लोकसभ ओतए पहुँचैत अछि । श्री मैथिली सामुदायिक प्राथमिक विद्यालय श्रीनगरकेँ आफन्त नेपाल नामक गैर सरकारी संस्था संचालन करैत अछि । ओ विद्यालयमे अध्ययन करयबलामे मुसहर जातिक अधिकांश धियापुता अछि । आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष्ा प्रदिप यादव कहैत छथि ४ कक्ष्ाा धरि संचालित ओ विद्यालयमे ९० छात्र छात्रा पढि रहल अछि ।मैथिली भेलाक कारण्ा बुभmएमे आसान भ˜ रहल विद्यार्थीसभ कहैत अछि । व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष्ा पलट सदा मैथिली विद्यालयकेँ नमूना विद्यालय बनाबएकेँ सोच हिसाव सँ आगा बढाएब जानकारी देलन्हि । ओ विद्यालयमे ३ टा शिक्ष्ाक आ १ टा शिक्ष्ािका कार्यरत अछि । पुmसकेँ घरमे संचालित ओ विद्यालयकेँ जल्दीए पक्की घर बनाएब सदा कहैत छथि । जिल्ला शिक्ष्ाा कार्यालय महोत्तरीक अधिक ृत अजय बोहरा ओ विद्यालयकेँ नीक बनाबए लेल शिक्ष्ाा कार्यालय सेहो प्रयत्न करत आश्वासन देलन्हि । एहिविच विभिन्न क्ष्ोत्रक व्यत्तmि सम्मिलित एक टोली मैथिली विद्यालयकेँ निरिक्ष्ाण्ा कएलक अछि ।ओ टोलीमे फिडा नेपालक रविन्द्र दास, जिल्ला शिक्ष्ाा कार्यालय महोत्तरीक शाखा अधिक ृत अजय बोहरा, महिला विकास कार्यालय जलेश्वरक उर्मिला पाण्डे , महिला विकास कार्यालय बोर्डक पूजा ठाकुर , जिल्ला प्रहरी कार्यालयक रामा थापा आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष्ा प्रदिप यादव, कार्यत्रmम संयोजक जय प्रकाश मण्डल, दिपा रार्इ सहितक सहभागिता रहल छल ।

No comments:

Post a Comment