Friday, June 22, 2012

विद्यापति पुरस्कार कोषक घोषणा- रिपोर्ट सुजित झा

दु लाखक पुरस्कार डा विमलके सुजीत कुमार भmा जनकपुरधाम, अखार ८ । मैथिली भाष्ाा, साहित्य, कला संस्क ृतिक लेल स्थापना काएल गेल नेपालमे सभ सँ बडका राशीक पुरस्कारके आर्इ जनकपुरमे घोष्ाण्ाा काएल गेल अछि। नेपाल सरकार åारा गठित विद्यापति पुरस्कार कोष्ाक लेल विभिन्न पाँच विद्यामे कार्य करय बला श्रष्टाके पुरस्क ृत करबाक निर्ण्ाय काएल गेल जानकारी विद्यापति पुरस्कार कोष्ाक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशी देलन्हि अछि । दु लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली भाष्ाा, साहित्य पुरस्कार मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलके प्रदान करबाक निर्ण्ाय काएल गेल अछि। डा. विमल मैथिली, नेपाली, हिन्दी आ अंग्रेजी भाष्ाामे समान रुप सँ लिखैत छथि । तहिना एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्क ृति पुरस्कार शहिद रंजु भmा, एक लाखके नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसंन्धान पुरस्कार डा. रामावतार यादवके , एक लाखके नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार साहित्यकार परमेश्वर कापडिके तथा , एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली अुनबाद पुरस्कार डा. रामदयाल राकेशके प्रदान करबाक निर्ण्ाय काएल गेल अछि। पुरस्कार छनोट समितिमे प्राज्ञ रमेश रञ्जन भmा, विष्ण्ाु कुमार मण्डल, मिना ठाकुर, चन्द्रकिशोर भmा आ श्याम सुन्दर शशी रहल छलथि । २०६८ कातिक १८ गते नेपाल सरकार एक करोड रुपैयाके विद्यापति पुरस्कार कोष्ाके स्थापना कएने छल । र्इ पुरस्कार एहि वेर सँ देबाक निर्ण्ाय काएल गेल अछि।

 श्री परमेश्वर कापड़ि लिखलन्हि- "पुरस्कारक रकमस’ पोथीए छपाएब-अखाढी नवरात्राक पहिल अनुष्ठानिक दिन नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार कोष एहि सालके नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपि पुरस्कार मैथिली बालनाटक स‌ग्रह –भेटने सम्पूर्ण बालसाहित्य स‌सारके एहिस’ हरख होएब स्वभाविके अछि । मैथिली बालसाहित्य स्वतन्त्र अस्तित्वक पहचान एव‌ मौलिक स्वकृति विसम् शताब्दिक अन्तदिस भेटने, लोक बालसाहित्यक तुलनामे आधुनिक बालसाहित्य रचनाक्रम बहुत झुस आ हेठ अछि । मैथिली बालनाटक आ रंगमंचक हालति मरल–मरतुकी सनके बुझाइछ । मैथिलीमे बालनाटक नइ छै से नइ मुदा हमर चारिटा नाटकक संग्रह चौआरि आ एकर बृहत शास्त्रीय भूमिकास् भरल पाण्डुलिपिके उच्च मूल्यांकन क’ ई पुरस्कार देने, हम आओर प्रोत्साहित आ उर्जावान भेलहुँ अछि । रचनाधिर्मिताके स्वीकृति तथा उच्च मूल्यांकनस’ प्राप्त एक लाखक एहि उर्जा राशिके हम अपन बालनाटक चौआरि आ बालगीत संकलन घुटुक छपाक’ बालसाहित्यमे श्रीवृद्धिमे खर्च करबाक मनसूबा पोसने छी ।"

विद्यापति पुरस्कार कोषक पुरस्कार- मैथिली भाषा, साहित्य, कला संस्कृतिक लेल नेपाल सरकार द्वारा स्थापित नेपालमे सभसँ बड़का राशिक पुरस्कार। 

विद्यापति पुरस्कार कोषक लेल विभिन्न पाँच विद्यामे २०१२ (

२०६८ कातिक १८ गते नेपाल सरकार एक करोड रुपैयाक विद्यापति पुरस्कार कोषक स्थापना कएने छल, तकरा बाद र्इ पुरस्कार पहिल वेर देल जा रहल अछि।)
दु लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमलकेँ।
एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार शहीद रंजु झाकेँ
एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसन्धान पुरस्कार डा. रामावतार यादवकेँ
एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार साहित्यकार परमेश्वर कापडिकेँ
एक लाखक नेपाल विद्यापति मैथिली अनुबाद पुरस्कार डा. रामदयाल राकेशकेँ


No comments:

Post a Comment