Monday, June 4, 2012

कलकत्ता मे मैथिल कलरव / मिथिला महोत्सवक आयोजन (रिपोर्ट रूपेश कुमार झा त्योँथ)

मैथिलक कासी-कावा मे फेर धीपल तावा. मिथिला विकास परिषद् पूर्व घोषित कार्यक्रमक रूपरेखा तैयार क' लेलक अछि. रविदिन सांझ ५ बजे सं भेल केंद्रीय कार्यालक बैसार मे मिथिला महोत्सव पर फइल सं चर्चा कयल गेल. महोत्सवक उद्घाटन २९ जुलाई, २०१२ कें महाजाति सदन मे केंद्रीय मंत्री मैथिल प्रेमी बंगपुत्र सुदीप बंद्योपाध्याय द्वारा होयत. तत्पश्चात १२ ओ १९ अगस्त, २०१२ कें सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन कयल जायत. एकर संगहि २२-२५ दिसम्बर, २०१२ धरि चारि दिवसीय नाट्य महोत्सव आयोजित अछि. ६ ओ १३ जनवरी, २०१३ कें गिरीश ओ तारासुन्दरी पार्क मे सांस्कृतिक आयोजन राखल गेल अछि. ई जनतब मिविप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा सार्वजनिक कयलनि. 

जुलाई, २०१२ सं जनवरी, २०१३ धरि चलयवला एहि मियादी मिथिला महोत्सवक घोषणा सं मैथिली भाषी लोकनि मे अजब उत्साह देखबा मे आबि रहल अछि. एहि कार्यक्रम मे मैथिल साहित्यकार, नाटककार, कलाकार आदि केर जमघट त' रहबे करत संगहि बॉलीवुड हस्ती सभक अयबाक चर्चा जोर पकड़ने अछि. कहल जा रहल अछि जे गायक उदित नारायण झा, फिल्म निर्देशक प्रकाश झा, अभिनेता शेखर सुमन, मनोज वाजपेयी केर संगहि अन्यान्य लोकनि एहि महोत्सव मे आबि सकैत छथि. 

उल्लेखनीय अछि जे मिथिला विकास परिषद् प्रत्येक वर्ष गिरीश पार्क ओ तारासुन्दारी पार्क मे कार्यक्रमक आयोजन करैत अछि. एहि बेर मिथिला महोत्सवक आयोजन एहि मे नव अध्याय जुडल अछि.

No comments:

Post a Comment