Monday, March 19, 2012

दिल्लीमे बिहार शताब्दी समारोह (रिपोर्ट पारितोष मिश्र आ हेमन्त झा)

१८ मार्च २०१२  बिहार शताब्दी समारोह मे गेल छलौ ओतए अव्यवस्था केर माहौल देख में आएल नई त आगंतुक लेल पानि के व्यवस्था आ नई आएल सम्मानित महिला सभ लेल समुचित शौचालय. मंच पर सेहो अव्यवस्था के माहौल छल . समारोह में दोहरा मापदंड अपनैल गेल . नीतीश जी अप्पन दरबारी सभ के मंच पर सम्मानित केलन्हि ओही में मिथिलांचल के बिभूति सभ के नजर अंदाज कैल गेल . किछु मैच खेल बला सबा करीम के बिहार के नाम पर सम्मानित कैल गेल मुदा विश्व कप विजेता टीम के सदस्य श्री कीर्ति झा जी के नजरअंदाज कैल गेल . पत्रकारिता जगत में ओ अप्पन चाटुकारिता करय वला के सम्मानित केलाह मुदा मिथिलांचल के महान पत्रकार श्री गौरीशंकर राजहंस,श्री गिरीश मिश्र आ बहुत गोटे के अनदेखी कैल गेल . उद्योग जगत के किछु अनाम आदमी के सम्मान भेल मुदा मिथिला आ भारत के गौरव अन्तराष्ट्रीय मंच पर बढाबय वला श्री विन्देश्वर पाठक के अनदेखी कैल गेल . एहन बिहार शताब्दी समारोह के की मतलब रही गेल , की ई नीतीश बाबू ई काज कोनों राजनीतिक कारण सय क रहल छथि या सामाजिक कारण अछि मुदा कोनों कारन होमए मिथिलांचल के उपेक्षा हुनका भारी पड़तन्हि।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतिश कुमार जीक एतए गरिमामय उपस्थिति रहल।
समारोहमे विधान पार्षद संजय झाक सराहनीय सहयोग रहल।
गायिका अंशुमाला अपन गायनसँ मुग्ध केलनि।

No comments:

Post a Comment