Sunday, February 5, 2012

पाँचम ललित-कर्पूरी टी-२० टूर्नामेन्ट- झंझारपुरक टीम लगातार चारिम बेर भेल चैम्पियन (रिपोर्ट श्री सरफराज सिद्दीक पप्पू)

-ललित-कर्पूरी समरसता स्थल, झंझारपुरमे भेल फाइनल
-२०-२५ हजार दर्शकसँ खचाखच रहए स्टेडियम
-दरभंगा रेडियो स्टेशनसँ भेल मैचक लाइव प्रसारण
-पाँचम ललित-कर्पूरी टी-२० टूर्नामेन्ट- झंझारपुरक टीम लगातार चारिम बेर भेल चैम्पियन
-फाइनलमे मधुबनीक टीमकेँ एक विकेटसँ हरेलक
-कीर्ति आजाद (सांसद आ १९८३ क विश्व कप विजेता टीमक सदस्य) देखलन्हि झंझारपुरमे फाइनल
-मधुबनी २० ओवरमे मात्र १२६ रन बना सकल।
-झंझारपुर ९ विकेटक ओकसानसँ ई लक्ष्य प्राप्त केलक।
-झंझारपुरक ऑल-राउन्डर सौरभ संकल्प भेलाह मैन ऑफ द मैच आ मैन ऑफ द सीरीज
-कीर्ति आजादकहाथसँ मैन ऑफ द मैच  लेल हुनका भेटलन्हि पाँच हजारक चेक आ प्रतीकचेन्ह, मैन ऑफ द सीरीज लेल भेटलन्हि बजाज पल्सरक चाभी
-विजेता झंझारपुरक टीमक कैलाश भण्डारीकेँ एक लाख टाकाक चेक आ उपविजेता मधुबनी टीमक कैप्टेन केँ पचास हजार टाकाक चेक नीतिश मिश्र (आयोजक सह ग्रामीण विकास मंत्री, बिहार सरकार) देलन्हि।
अखबारक न्यूजक फोटो:साभार श्री सरफराज सिद्दीक पप्पू

No comments:

Post a Comment