Saturday, February 4, 2012

विदेह गोष्ठी: मि‍थिलांचलक प्राथमि‍क आ मध्‍य वि‍द्यालयी शि‍क्षाक माध्‍यम् मैथि‍ली हेतु ‘वि‍देह’ वि‍चार गोष्‍ठी सम्पन्न (रिपोर्ट उमेश मण्डल)

विदेह गोष्ठी: मि‍थिलांचलक प्राथमि‍क आ मध्‍य वि‍द्यालयी शि‍क्षाक माध्‍यम् मैथि‍ली हेतु ‘वि‍देह’ वि‍चार गोष्‍ठी सम्पन्न


ि‍नर्मली, सुपौल, (बि‍हार)- मि‍िथलांचलक प्राथमि‍क आ मध्‍य वि‍द्यालयी शि‍क्षाक माध्‍यम् मैथि‍ली हेतु ‘वि‍देह’ वि‍चार गोष्‍ठी श्री राहुल कुमार जीक संयोजकत्‍वमे स्‍थानीय अशर्फी दास साहु समाज इण्‍टर महि‍ला कॉलेज परि‍सरमे दुपहर 2 बजेसँ कएल गेल जेकर अध्‍यक्षता केलनि‍- उपन्‍यासकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल, दीप प्रज्‍वलन सह गोष्‍ठीक उद्घाटन केलनि‍ ि‍नर्मली महावि‍द्यालयक इति‍हास वि‍भागक वरीय व्‍याख्‍याता प्रो. जयप्रकाश साह, संचालन प्रो. हेम नारायण साह।
प्रो. कपि‍लेश्वर साह, मरौना केर पूर्व जि‍ला पार्षद श्रीमती आशा देवी, अधि‍वक्‍ता रामलखन यादव, कवि‍ श्री राजदेव मण्‍डल, अधि‍वक्‍ता वीरेन्‍द्र कुमार ‘वि‍मल’ वि‍शि‍ष्‍ठ अति‍थि‍ रहथि‍।
ऐ अवसरपर उपस्‍थि‍त छलाह ि‍नर्मली महावि‍द्यालय ि‍नर्मलीक मैथि‍ली वि‍भागक वरीय व्‍याख्‍याता  प्रो. श्रीमोहन झा, प्रो. मुकुल कुमार वर्मा, श्री वि‍नय कुमार रूद्र, अधि‍वक्‍ता भोला प्रसाद यादव, अवकाश प्राप्‍त शि‍क्षक श्रीकृष्‍ण राम, ि‍नर्मली महावि‍द्यालय केर हि‍न्‍दी वि‍भागक वरीय व्‍याख्‍याता डॉ. शि‍वकुमार प्रसाद, प्रो. उपेन्‍द्र   अनुपम, साहि‍त्‍यकार नन्‍द वि‍लास राय, मध्‍य वि‍द्यालय ि‍नर्मलीक प्रधानाध्‍यापक सत्‍य नारायण कामति‍, शि‍क्षक रामावतार साहु, शि‍क्षक अहमद कमाल मंजूर, मध्‍य वि‍द्यालय ि‍नर्मलीक सहायक शि‍क्षक जवाहर लाल गुप्‍ता, प्रो. सुशील कुमार, गणि‍त वि‍भागक व्‍याख्‍याता प्रो. दुर्गालाल साहु, इण्‍टर महि‍ला कॉलेजक प्राचार्य प्रो. मनोज कुमार साह, भौति‍की वि‍भागक प्रो. लालबाबू साह, रामप्रकाश सि‍ंह, जि‍तेन्‍द्र प्रसाद यादव, चुन्नीलाल साह, मदन प्रसाद साह, वि‍ष्‍णुदेव कुमार मंडल, वि‍नोद कुमार साह, मुकुल साह, डीलर यदुराम, पुनि‍त लाल साहु, देवराम साह, वीरेन्‍द्र ठाकुर, चन्‍द्रशेखर मंडल जलेश्वर प्रसाद साहु आदि‍।
सर्वसम्‍मति‍सँ ि‍नर्णय भेल माननीय मुख्‍यमंत्री श्री नीतीश कुमार जीकेँ जे कोसी महासेतुक उद्घाटन लेल 08 फरवरी 2012केँ ि‍नर्मली आबि‍ रहलाहेँ ओही अवसरपर उपरोक्‍त वि‍षय-वस्‍तुक स्‍मार पत्र प्रदान कएल जाए जइमे अधि‍क-सँ-अधि‍क लोकक हस्‍ताक्षर रहए।

[-जयकांत मिश्रक याचिका (CWJC No. 7505/98) पर बिहार सरकार हाई कोर्टमे सेहो हारल छल 


-मुदा बिहार सरकार सुप्रीम कोर्टमे केने छल अपील (Civli Appeal No. (s)7266 of 2004, न्यायमूर्ति बी.सुदर्शन रेड्डी आ सुरिन्दर सिंह निज्झर ३० सितम्बर २०१० केँ सुनवाइ केलन्हि आ अपन निर्णयमे बिहार सरकारक अपील ठोकरा देलक, कारण बिहार सरकार ई अपील आपस लऽ लेलक।



-बिहार आ झारखण्डक भागमे [बिहारक सीतामढ़ी, शिवहर, मधुबनी, दरभंगा, समस्तीपुर, खगड़िया, बेगूसराय, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, अररिया, वैशाली (हाजीपुर), मुंगेर, बाँका,  भागलपुर, मुजफ्फरपुर, मोतीहारी, किशनगंज, आ कटिहार जिला आ रिटक समय १९९८ ई. मे बिहार मुदा आब झारखण्डक देवघर, गोड्डा आ साहेबगंज जिला]  मैथिली अलग भाषा रूपमे बाजल जाइत अछि। जँ वर्गमे कमसँ कम १०टा छात्र आ स्कूलमे ४० टा   छात्र मैथिली माध्यमसँ शिक्षा प्राप्त करऽ चाहताह तँ सरकारकेँ से व्यवस्था करए पड़तैक।]



[बिहार मे मिथिलांचल क्षेत्रमे प्राथमिक आ मध्य विद्यालयी शिक्षाक माध्यम मैथिली करबा लेल बिहार सरकारपर द्वाब बनेबा लेल ३ फरबरी २०१२ केँ विदेह द्वारा विचार गोष्ठीक आयोजन कएल जा रहल अछि आ संगमे हस्ताक्षर अभियान सेहो शुरू कएल जाएत, आ ८ फरबरी २०१२ केँ मुख्यमंत्री नीतिश कुमारकेँ ज्ञापन देल जाएत। (ज्ञापन देल गेल।)  श्री राहुल कुमार आ श्री अमरेन्द्र कुमार साहक संयोजकत्वमे विदेह विचार गोष्ठी  ३ फरबरी २०१२ केँ २ बजे अपराह्णसँ अशर्फी दास साहू समाज इण्टर महिला महाविद्यालय, निर्मली (जिला सुपौल) मे आयोजित हएत। सुप्रीम कोर्ट सेहो बिहार सरकारक अपीलकेँ खारिज कऽ देने अछि आ कोनो बाधा नै बचल अछि (http://esamaad.blogspot.in/2011/11/blog-post_14.html ) बिहारक मुख्यमंत्रीकेँ १४ अक्टूबर २०११केँ श्री जगदीश प्रसाद मण्डल आ श्री राजदेव मण्डलक ६ टा पोथी देल गेल छलन्हि आ ई मुद्दा उठाओल गेल छल (http://esamaad.blogspot.in/2011/10/blog-post_15.html)]



[Indian Constitution has given special importance to primary education through the mother tongue. Article 350(A) of the Constitution spells out:
"It shall be the endeavour of every State and of every local authority within the state to provide adequate facilities for instruction in the mother tongue at the primary stage of education to, children belonging to linguistic minority groups; and the President may issue such directions to any State as he considers necessary or proper for securing the provision of such facilities."]



सेवामे,
      माननीय मुख्‍यमंत्री महोदय, बि‍हार

वि‍षय-     बि‍हारमे मि‍थि‍लांचल क्षेत्रक प्राथमि‍क आ मध्‍यवि‍द्यालयी शि‍क्षाक माध्‍यम मैथि‍ली भाषा हेतु।

मान्‍यवर,

      -बिहारमे मिथिलांचल क्षेत्रक प्राथमिक आ मध्यविद्यालयी शिक्षाक माध्यम मैथिली हुअए।
-बिहार सरकारकेँ संविधानक ऐ अनुच्छेदकेँ लागू करबा लेल प्रेरित करबा लेल हाइ कोर्ट पटनामे CWJC No. 7505/98 दाखिल भेल छल जतऽ बिहार सरकार हारि गेल आ ओ सुप्रीम कोर्टमे अपील Civli Appeal No. (s) 7266 of 2004 केलक।
-न्यायमूर्ति बी.सुदर्शन रेड्डी आ सुरिन्दर सिंह निज्झर ३० सितम्बर २०१० केँ सुनवाइ केलन्हि। भारतक सुप्रीम कोर्ट १ मइ २०११क अपन निर्णयमे बिहार सरकारक अपील ठोकरा देलक।
-भारतीय संविधानक प्रावधानक अनुसार आब सम्पूर्ण उत्तर बिहार, भागलपुर, वॉका, मुंगेर, दरभंगा, समस्‍तीपुर, मधुबनी, सुपौल, सहरसा, पूर्णिया अंचल क्षेत्रमे प्राथमिक आ मध्य विद्यालयी शिक्षाक माध्यम मैथिली हुअए से अनुरोध।
-समस्त मिथिलावासीक दिससँ ई स्मार-पत्र। सुप्रीम कोर्टक आदेशक पालन हुअए आ जनताक भावनाक सम्मान हुअए।

अतएव अपनेसँ आग्रह अछि‍ जे ऊपर वर्णित पुनि‍त कार्य करबा लेल हम सभ मि‍थि‍लावासी कृतार्थ रहब।

प्रार्थी-
श्री..
श्री...
























































































































































No comments:

Post a Comment