Saturday, December 10, 2011

मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी प्रारम्भ- भोर तक चलत

-स्थान- कॉपेरेटिव हॉल, पटना म्यूजियमक लग, पटना, समय आइ दिनांक १० दिसम्बर २०११ साँझ ६ बजेसँ प्रारम्भ आ ११ दिसम्बर २०११ ६ बजे भोर धरि, अवसर ७५म सगर राति दीप जरए (मैथिली कथा गोष्ठी),
-मुन्नाजीक ट्रेन विलम्बसँ पहुँचल तेँ "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी कने विलम्बसँ लगभग ११.३० बजे रातिसँ शुरू भेल । 
-प्रदर्शनीक उद्घाटन श्री प्रदीप बिहारी आ अवलोकनश्री रमानन्द झा "रमण"  केलन्हि।
-विदेहक सहायक सम्पादक श्री मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी आइ रातिसँ काल्हि भोर धरि
-मैथिलीक एहेन पहिल कथा पोस्टर प्रदर्शनी
-ऐ बेर मात्र मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा"क पोस्टर प्रदर्शनी अछि, मुन्नाजी कहलनि अछि जे आगाँसँ आनो लेखकक विहनि कथा सम्मिलित हएत।

No comments:

Post a Comment