Sunday, December 25, 2011

"आधुनिक मैथिली साहित्यक प्रभाव क्षेत्रमे नारी तत्व" आ "मैथिली आ तमिल कवियित्री सम्मेलन" (१७-१८ दिसम्बर २०११ केँ पुडुचेरीमे भेल साहित्य अकादेमीक समारोहपर शेफालिका वर्मा जीक रिपोर्ट)

YOU MAY VIEW THIS TAMIL - MAITHILI WOMEN POETS MEET REPORT (REPORTED BY SMT. SHEFALIKA VERMA) IN TAMIL SCRIPT (MAITHILI LANGUAGE) BY CLICKING THE FOLLOWING LINK:

MAITHILI GOES DRAVIDIAN

-"आधुनिक मैथिली साहित्यक प्रभाव क्षेत्रमे नारी तत्व" संगमे "मैथिली आ तमिल कवियित्री सम्मेलन" भारतक साहित्य अकादेमीक तत्वावधानमे १७-१८ दिसम्बर २०११ केँ पुडुचेरीमे सम्पन्न भेल।

-साहित्य अकादेमीक ऑफिसर ऑन स्पेशल ड्यूटी श्री जे. पुन्नोदुर्रै स्वागत भाषण देलनि।

-आरम्भिक भाषण श्री विद्यानाथ झा "विदित"(संयोजक मैथिली परामर्शदात्री समिति, साहित्य अकादेमी)क आ श्री एरा मोहन (साहित्य अकादेमीक जेनेरल काउन्सिलक सदस्य)क रहल।

-अध्यक्षीय भाषण श्रीमती शेफालिका वर्मा देलनि।

-उद्घाटन भाषण श्री मनोज दास (ओड़िया आ अंग्रेजी लेखक) देलनि, ओ अरविन्द आश्रम, पुडुचेरीमे रहै छथि।

-मैथिली लेखिका श्रीमती रेवती मिश्र मुख्य भाषण देलनि।

-सिरपी बालसुब्रह्मण्यम (संयोजक तमिल परामर्शदात्री समिति, साहित्य अकादेमी)सम्माननीय अतिथि रहथि।
-१८ दिसम्बर २०११केँ ऑरोविल, पुडुचेरीमे ४ बजे अपराह्णसँ "मैथिली आ तमिल कवियित्री सम्मेलन" भेल।

-मैथिलीक मुख्य प्रतिभागी महिला लोकनि रहथि, डा. कमला चौधरी, कुमकुम झा, वीणा कर्ण, रश्मि तनु, आरती कुमारी शेफालिका वर्मा, रमा झा, आशा मिश्र, स्वाति शाकम्भरी, नीलिमा मिश्र, रेवती मिश्र, अरुणा चौधरी, सुशीला झा, वीणा ठाकुर, उषा वत्स,ममता चौधरी, प्रमिला झा , लालपरी देवी, चंदना दत्त आ नीलम कुमारी।

[
-साहित्य अकादेमी ,दिल्ली दिससँ ' आधुनिक साहित्यक प्रभावक्षेत्र मे नारी तत्व ' पर एकटा मुख्यतः महिला लोकनि क सेमिनार पांडिचेरी मे १७-१८ दिसम्बर केँ संपन्न भेल.
-एहि सेमिनारक विशेषता छल जे कम सँ कम आयु,एवं नवीन लेखिका सभकेँ मंच पर आनबाक प्रयास कयल गेल छल...
-एहि मे तमिलक विद्वान सभ सेहो भरल रहथि..

-ई सेमिनार पांडिचेरीक सभसँ पैघ होटल अनंदा इनमे छल आ रहबाक व्यवस्था सेहो ओहीमे ...

-आरम्भ १७ दिसम्बरकेँ करीब १० बजे दिनमे साहित्य अकादमिक ओ.एस.डी. पोंनुदुरै क अभिभाषण सँ भेल

-एकर बाद मि. राजा तमिल मे सभक परिचय करौलनी अंग्रेजी अनुवाद क साथ

-श्री बैद्यनाथ झा विदित अंग्रेजी आ मैथिली मे सेमिनार केँ संबोधित केलनि संगे एरा मोहन, मेम्बर ,जेनरल कौंसिल ,साहित्य अकादेमी, पोंडिचेरी सेहो सम्बोधित केलनि.

- एकर उपरांत डॉ. शेफालिका वर्मा अध्यक्षीय अभिभाषण पहिने अंग्रेजी पुनः मैथिलीमे देलनि जे "आइ उत्तर केर गंगा जमुनाक साहित्य भाव दक्षिण केर साहित्य सागर सँ मिलन पर्व मना रहल अछि.... ,

-मि. मनोज दास , साहित्य अकादेमी फेलो केर विद्वता पूर्ण भाषण तमिल आ अंग्रेजी मे भेल. श्रीमती रेवती मिश्रा सेमीनारक विषय पर अपन बीज भाषण आ विद्वतापूर्ण विशद आलेख पढ़लनि

-गेस्ट ऑफ़ ओनर मि. सिर्पी बलासुब्रह्मण्यम, कन्वेनर , तमिल एडवाइजरी बोर्ड , साहित्य अकादेमी अपन भाषण देलनि .

-धन्यवाद ज्ञापन क उपरांत पहिल सेशन भेल जाहि मे अध्यक्षता कमला चौधरी केलनि , मंजर आलम ,अरुणा चौधरी, ,कुमकुम झा, सुशीला झा क आलेख छल.

-दोसर सेशन क अध्यक्षता वीणा ठाकुर केलनि, ओइमे धीरेन्द्र नाथ मिश्र, रविन्द्र कु. चौधरी , आशा मिश्र, उषा वत्स केर आलेख छल

-तेसर सेशन मे अध्यक्षता प्रमिला झा केलनि। ऐ मे ताराकांत झा, ममता चौधरी आदि क आलेख छल . .

-१८ दिसम्बर २०११ केँ चारि सेशन भेल, लालपरी देवीक अध्यक्षतामे अमरनाथ झा , पंचानन मिश्र ,रमा झा , चंदना दत्त क आलेख छल

-पाँचम सेशनक अध्यक्षता वीणा कर्ण, आलेख पाठ नीलम कुमारी, रश्मि तनु, आरती कुमारी आ सभसँ कम आयुक स्वाति शाकम्भरी केलनि।

-अंतिम सेशनक अध्यक्षता पन्ना झा केलनि, गेस्ट ऑफ ओनर रहथि पी. राजा (साहित्य अकादेमीक जेनेरल काउन्सिलक सदस्य), भाषण उषाकिरण खान, क बाद मात्री मंदिर अरुवेली मे तमिल मैथिली कवि सम्मलेन भेल.

-सभ गोटे पहिने अंग्रेजी मे तखन मैथिली मे बजलीह .

-कतेक लेखिका खाली अंग्रेजी मे पाठ केलनि.

-महिला लेखिकाक बाहुल्य, उत्साह देखि लागल 0ldest to latest क अन्वेषण छल. जाहिमे विदेह आ गजेन्द्र ठाकुरक पूर्ण सहयोग कहल गेल.

-मात्री मंदिर मे कवि सम्मलेनक उपरान्त सभ गोटेकेँ एकटा उज्जर झोरामे एक-एक टा चद्दर , एकटा सुंदर दीया , फूल पत्ती छोट छोट कलात्मक चीज सभ देल गेल.

-तमिलक सुप्रसिद्ध कवियित्री मीनाक्षी सुन्दरम अपन मोहक मुस्कानसँ सभकेँ मोहि लेलनि .....

- कोनो आलेख सतही नै छल, सभटा विद्वता पूर्ण, पढ़बाक उत्साह वाणीमे झलकैत छल लेखिका गण केर.

-नारी शक्ति सँ मिथिला ओत प्रोत अछि कोनो शक नै....
]


चित्र साभार शेफालिका वर्मा


चित्र साभार शेफालिका वर्मा
मनोज कुमार झा, ताराकान्त झा, पंचानन मिश्र आ शेफालिका वर्मा: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
कुमकुम झा, विभा झा, आशा मिश्र, रमा झा, आरती झा, स्वाती, राजाराम प्रसाद, मंजर सुलेमान: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
नीलिमा मिश्र:जय-जय भैरविपर नृत्य: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
तमिल लेखक बी. सुब्रह्मण्य़म, मनोज दास (ओड़िया आ अंग्रेजी लेखक-अरविन्द आश्रम पाण्डिचेरीमे निवास करै छथि), शेफालिका वर्मा, रेवती मिश्र आ विद्यानाथ झा ’विदित’ : चित्र साभार शेफालिका वर्मा
श्री पुन्नुदुर्रै (ओ.एस.डी., साहित्य अकादेमी, माइकपर), श्री राजा, श्री बी.सुब्रह्मण्यम, मनोज दास (ओड़िया आ अंग्रेजी लेखक-अरविन्द आश्रम पाण्डिचेरीमे निवास करै छथि), शेफालिका वर्मा, रेवती मिश्र आ विद्यानाथ झा ’विदित’ : चित्र साभार शेफालिका वर्मा
मनोज झा आ तमिल लेखकगण: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
मैथिली आ तमिल लेखकगण: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
पोन्नुदुर्रै (माइकपर), सिरपी बालसुब्रह्मण्यम, श्री एरामोहन, शेफालिका वर्मा, रेवती मिश्र, विदित: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
चन्दना दत्ता, शेफालिका वर्मा, ताराकान्त झा आ अमरनाथ: चित्र साभार शेफालिका वर्मा
अमरनाथ, अमरनाथक पुत्री, अमरनाथक पत्नी नीलम कुमारी, शेफालिका वर्मा, मनोज झा  : चित्र साभार शेफालिका वर्मा

No comments:

Post a Comment