Friday, December 23, 2011

८म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन जोर-शोरसँ प्रारम्भ/ १८ व्यक्तिकेँ मिथिला रत्नसँ सम्मानित कएल गेल(गणेश झा जीक गुवाहाटीसँ रिपोर्ट)

काल्हि २२ दिसम्बर २०११ केँ ८म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन गुवाहाटीक स्वागत समारोह बहुत जोर-शोरसँ प्रारम्भ भेल। अतिथि छलाह बिहारक स्वास्थ्य मंत्री श्री अश्विनी कुमार चौबे, डॉ. समरेन्द्र प्रताप सिंह, डॉ. ध्रुव कुमार, चन्द्र मोहन झा, नेपालसँ आएल सांसद श्री यदुवंश झा जी, मीनाक्षी झा, वासन्ती झा, प्रख्यात मैथिली विद्वान श्री राम भरोस कापड़ि "भ्रमर", डॉ. कमलाकान्त झा आ मैथिली लेल अपन प्राण न्योछावर केनिहार श्री बैद्यनाथ चौधरी "बैजू" आ अनेक विद्वान लोकनि।

-१८ व्यक्तिकेँ मिथिला रत्नसँ सम्मानित कएल गेल, ज इमे अलग-अलग भाषाक विद्वान सेहो छलाह, जइमे अलग-अलग भाषाक विद्वान सेहो छलाह।

-श्री अश्विनी चौबेजी मैथिलीक विकास लेल सभ सम्भव सहायता देबाक वचन देलन्हि।




No comments:

Post a Comment