Thursday, December 22, 2011

१. मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा गुवाहाटीमे आयोजित "अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन" आ आठम मिथिला रत्न सम्मान समारोहक हकार आ विस्तृत कार्यक्रम/ २. मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा गुवाहाटीमे आयोजित "विद्यापति स्मृति पर्व समारोह" क विस्तृत कार्यक्रम।


मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा गुवाहाटीमे आयोजित "अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन" आ "आठम मिथिला रत्न सम्मान समारोह" क हकार आ विस्तृत कार्यक्रम।
स्थान: प्राग्ज्योतिष आइ.टी.ए. सेन्टर, माछखोवा, गुवाहाटी  समय-तिथि:- २२ दिसम्बर २०११ केँ ४ बजे अप्राह्णसँ ९ बजे राति धरि आ २३ दिसम्बर २०११ केँ ११ बजे पूर्वाह्णसँ ३ बजे अपराह्ण धरि।

बिहारक स्वास्थ्य मंत्री श्री अश्विनी कुमार चौबे समारोहक उद्घाटन करताह, मुख्य अतिथि छथि ल.ना.मिथिला विश्वविद्यालयक उपकुलपति डॉ. समरेन्द्र प्रताप सिंह,  ल.ना.मिथिला विश्वविद्यालयक प्रो.वाइस-चान्सलर डॉ. श्री धुव कुमार समारोहक अध्यक्षता करताह, श्री विनोद नारायण झा आ श्री संजय सरावगी सम्माननीय अतिथि रहताह। विशिष्ट अतिथि रहताह श्री डॉ. चन्द्र मोहन झा आ श्री पं. कमला कान्त झा। "अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन" (अध्यक्ष पं. कामदेव झा, संयोजक श्री प्रेमकान्त चौधरी) क जेनेरल सेक्रेटरी डॉ. बैजनाथ चौधरी "बैजू" वार्षिक रिपोर्ट प्रस्तुत करताह।
(संयोजक: मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति, गुवाहाटी; प्रेमकान्त चौधरी अध्यक्ष, विनय कुमार झा, सचिव)


मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति द्वारा गुवाहाटीमे आयोजित "विद्यापति स्मृति पर्व समारोह" क विस्तृत कार्यक्रम। स्थान: प्राग्ज्योतिष आइ.टी.ए. सेन्टर, माछखोवा, गुवाहाटी  समय-तिथि: २३ दिसम्बर २०११ केँ ५ बजे अपराह्णसँ देर राति धरि।
ऐ अवसरपर विशेष अतिथि छथि डॉ. श्रीमती प्रेमलता मिश्र "प्रेम" आ सम्माननीय अतिथि रहताह श्री जगदीश प्रसाद मण्डल
ऐ अवसरपर कलाकार कुंजबिहारी, रंजना झा, रमेश रंजन आ राम सेवक ठाकुर सेहो अपन मंडलीक संग उपस्थित रहताह।
(संयोजक: मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समिति, गुवाहाटी; प्रेमकान्त चौधरी अध्यक्ष, विनय कुमार झा, सचिव)

१७ म विदेह मैथिली पोथी प्रदर्शनी २२-२३ दिसम्बर २०११ केँ गुवाहाटीमे हएत। गुवाहाटी आ आसपास रहैबला लेल मैथिली पोथी किनबाक ई दुर्लभ अवसर अछि। सम्पर्क करू श्री उमेश मंडल- फोन- 09931654742 स्थान: प्राग्ज्योतिष आइ.टी.ए. सेन्टर, माछखोवा, गुवाहाटी- ७८१००९/ २२ दिसम्बर २०११ केँ ४ बजे अप्राह्णसँ ९ बजे राति धरि आ २३ दिसम्बर २०११ केँ ११ बजे पूर्वाह्णसँ ३ बजे अपराह्ण धरि आ २३ दिसम्बर २०११ केँ फेर ५ बजे अपराह्णसँ देर राति धरि।



No comments:

Post a Comment