Saturday, December 10, 2011

मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी आइ रातिसँ काल्हि भोर धरि

-विदेहक सहायक सम्पादक श्री मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी आइ रातिसँ काल्हि भोर धरि
-मैथिलीक एहेन पहिल कथा पोस्टर प्रदर्शनी
-ऐ बेर मात्र मुन्नाजीक "मैथिली विहनि कथा"क पोस्टर प्रदर्शनी अछि, मुन्नाजी कहलनि अछि जे आगाँसँ आनो लेखकक विहनि कथा सम्मिलित हएत।
-स्थान- कॉपेरेटिव हॉल, पटना म्यूजियमक लग, पटना, समय आइ दिनांक १० दिसम्बर २०११ साँझ ६ बजेसँ प्रारम्भ आ ११ दिसम्बर २०११ ६ बजे भोर धरि, अवसर ७५म सगर राति दीप जरए (मैथिली कथा गोष्ठी), मुन्नाजीक ट्रेन विलम्बसँ चलि रहल अछि से "मैथिली विहनि कथा" पोस्टर प्रदर्शनी कने विलम्बसँ लगभग १० बजे रातिसँ शुरू हएत।

No comments:

Post a Comment