Thursday, December 15, 2011

20-21 दिसम्बर केँ होयत शिक्षक पात्रता परीक्षा, बढ़ि रहल प्रवेश पत्र- नवेंदु कुमार झा

 प्रदेश मे शिक्षक पात्रता परीक्षा 20 आ 21 दिसम्बर केँ जिला आ अनुमंडल मुख्यालयक 1380 परीक्षा केन्द्र मे आयोजित कयल जायत। एहि परीक्षा मे गोटेक 28 लाख परीक्षार्थी सम्मिलित होयताह। एहि परीक्षाक लेल प्रवेश पत्र बँटबाक काज चलि रहल अछि। आवेदन पत्र गलती भरलाक कारण दू लाखसॅ बेसी आवेदन पत्र विभिन्न कारण रद्द कऽ देल गेल छल जाहिसॅ आवेदक सभक आक्रोश सोझाँ आबि रहल छल। आवेदक सभक एहि आक्रोश पर तत्काल डेग उठबैत सरकार आवेदन रद्द भेल उम्मीदवार सभकेँ राहत दैत सभ आवेदक केँ परीक्षा मे सम्मिलित करैबाक निर्णय लेलक अछि। शिक्षा मंत्री पी.के. शाही घोषणा कयलनि अछि जे जाहि आवेदकक आवेदन रद्द कऽ देल गेल अछि हुनका सेहो परीक्षा मे बैसबाक अवसर देल जायत। सरकारक एहि निर्णय सॅ आवेदन रद्द भेल उम्मीदवारक शिक्षक बनबाक बाट खूजि गेल अछि।

No comments:

Post a Comment