Sunday, November 13, 2011

कोलकातामे मैथिली गतिविधि (रिपोर्ट श्री रूपेश कुमार झा "त्योंथ")


गिरीश पार्क विद्यापति प्रतिमा सं भूतनाथ मंदिर धरि मिथिला विकास परिषद् केर महिला मंच द्वारा आयोजित कलश यात्रा सोल्लास सम्पन्न भेल.

विद्यापति स्मारक मंच द्वारा आयोजित ओ कोलकाता केर अग्रणी मैथिल संस्था सभ द्वारा समर्थित विद्यापति विद्या मंदिर सं विद्यापति सेतु (सियालदह फ्लाईओवर) धरि कलश यात्रा ओ अन्य कार्यक्रम नीक जकां संपन्न भेल. एहि कार्यक्रम मे बिहार विधानसभा विधायक विनोद नारायण झा केर उपस्थिति ओ वक्तव्य उत्साहवर्द्धक लागल.



 'संपर्क' केर एहि मासक बैसार विद्यापति सेतु पर विद्यापतिक प्रतिमाक निकट भेल. एहि कार्यक्रम केर अध्यक्षता केलनि सुशील जी ओ सञ्चालन केलनि गंगा झा.
रचना पाठ केलनि क्रमशः आमोद झा, विद्याकर झा, मनोहर कुमार झा, रूपेश कुमार झा 'त्योंथ', रोहित कुमार मिश्र, मिथिलेश कुमार झा, कामेश्वर झा 'कमल', विनय भूषण, अनमोल झा ओ गंगा झा.
सादर उपस्थित छलाह — राम लोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, लक्ष्मण झा 'सागर, श्रीमति शैल झा 'सागर', नबोनारायण मिश्र ओ अन्यान्य..

No comments:

Post a Comment