Wednesday, November 9, 2011

विद्यापति तिरोधान दिवस (रिपोर्ट भास्कर झा, कोलकाता)

चित्र साभार भास्कर झा 
चित्र साभार भास्कर झा

कोलकाता 9 नवम्बर। काईल्ह सांझ विद्यापति तिरोधान दिवस पर विद्यापति स्मारक मंच,कोलकाता दिस सं श्रद्धान्जलि सभाक आयोजन कयल गेल। कार्यक्रमक प्रारंभ उपस्थित गणमाण्य द्वारा सियालदह स्टेशन के समीप अवस्थित विद्यापतिक प्रतिमा पर फ़ूल आ माल्यापर्ण स भेल । अहि अवसर पर वर्तमान प्रतिमा के हटाकय एकटा दीर्घकाय लम्बवत प्रतिमाक निर्माण संबधी गप शप भेल । उपस्थित गणमाण्य में सर्वश्री शारदानन्द झा, श्री विवेकानन्द झा, श्री इन्द्रनारायण झा , श्री जीबेन्द्र मिश्र , अध्यक्ष, विद्यापति स्मारक मंच आदि महत्वपूर्ण छलाह । हमरो अहि कार्यक्रम में जुड़ के सुवसर प्राप्त भेल।

विद्यापति स्मृति दिवस के उपलक्ष्य मे विद्यापति स्मारक मंच, कोलकाताक नेतृत्व मे विराट शोभायात्राक आयोजन 13 नवम्बर 2011 (रविदिन) कें कयल जा रहल अछि। ई शोभायात्रा मुक्ताराम बाबू स्ट्रीटक विद्यापति विद्यामंदिर सं आरंभ भय गिरिश पार्क, विवेकानन्द रोड, महात्मा गांधी रोड होइत सियालदह स्थित विद्याप्ति सेतु धरि जाएत। अहि अवसर पर अनेकानेक सांस्कृतिक कार्यक्रम से हो प्रस्तुत कएल जाएत । - भास्कर झा, कोलकाता

No comments:

Post a Comment