Monday, November 28, 2011

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान २०१२-१३: ऐ बेरुका प्रक्रिया प्रारम्भ -(साभार विदेह: गजेन्द्र ठाकुर)

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान २०१२-१३: ऐ बेर ई प्रक्रिया पछिला बेर जकाँ पुनः प्रारम्भ कएल जा रहल अछि। ३१ दिसम्बर २०११ धरि ऐपर विचार आमंत्रित अछि। रचना आ रचनाकारपर अपन प्रतिक्रिया अही थ्रेडक कमेन्ट बॉक्समे दी से आग्रह।
विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार २०१२-१३ :ऐ लेल श्री राजनन्दन लाल दास, श्री डॉ. अमरेन्द्र आ श्रे चन्द्रभानु सिंहक नामक प्रस्ताव हम दऽ रहल छी। हिनकर सभक समग्र योगदानपर पाठकसँ टिप्पणीक संग कोनो आन नाम जे ओ देबए चाहथि, आमंत्रित अछि।
विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी मूल पुरस्कार -१२ : ऐ लेल श्री बेचन ठाकुरक “बेटीक अपमान आ छीनरदेवी”(दूटा नाटक), श्री राजदेव मण्डलक “अम्बरा” (कविता-संग्रह), श्रीमती शेफालिका वर्माक “किस्त-किस्त जीवन (आत्मकथा), श्रीमती आशा मिश्रक “उचाट” (उपन्यास), श्री उदय नारायण सिंह “नचिकेता”क “नो एण्ट्री:मा प्रविश (नाटक), श्रीमती विभा रानीक “भाग रौ आ बलचन्दा” (दूटा नाटक), श्री सुभाष चन्द्र यादवक “बनैत बिगड़ैत” (कथा-संग्रह), श्रीमती पन्ना झाक “अनुभूति” (कथा संग्रह) आ श्री महेन्द्र मलंगियाक “छुतहा घैल” (नाटक)क नामक प्रस्ताव हम दऽ रहल छी। हिनकर सभक समग्र योगदानपर पाठकसँ टिप्पणीक संग कोनो आन नाम जे ओ देबए चाहथि, आमंत्रित अछि। ई पोथी सभ २००८, २००९ वा २०१० मे प्रकाशित हेबाक चाही।

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी बाल साहित्य पुरस्कार -१२ : ऐ लेल हम श्री जगदीश प्रसाद मण्डल जीक “तरेगन”(बाल-प्रेरक कथा संग्रह), आ मुरलीधर झाक “पिलपिलहा गाछ”क नामक प्रस्ताव हम दऽ रहल छी। हिनकर सभक समग्र योगदानपर पाठकसँ टिप्पणीक संग कोनो आन नाम जे ओ देबए चाहथि, आमंत्रित अछि। ई पोथी सभ २००६सँ २०१० धरि प्रकाशित हेबाक चाही।

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार -१२ : ऐ लेल हम श्रीमती ज्योति सुनीत चौधरीक “अर्चिस” (कविता संग्रह), श्री विनीत उत्पलक “हम पुछैत छी” (कविता संग्रह), कामिनीक “समयसँ सम्वाद करैत”, (कविता संग्रह), आदि यायावरक “भोथर पेंसिलसँ लिखल” (कथा संग्रह),, श्री उमेश मण्डलक “निश्तुकी” (कविता संग्रह), श्री प्रवीण काश्यपक “विषदन्ती वरमाल कालक रति” (कविता संग्रह), आ श्री अरुणाभ सौरभक “एतबे टा नहि” (कविता संग्रह)क नामक प्रस्ताव हम दऽ रहल छी। हिनकर सभक समग्र योगदानपर पाठकसँ टिप्पणीक संग कोनो आन नाम जे ओ देबए चाहथि, आमंत्रित अछि। ई पोथी सभ २०११ धरि प्रकाशित हेबाक चाही।३१ दिसम्बर २०११ धरि प्रकाशित रचना अहाँ दऽ सकै छी। ई डिसकशन ३१ दिसम्बर २०११ धरि चलत। तकर बाद रचना/ रचनाकार शॉर्टलिस्ट कऽ कऽ वोटिंग १ जनवरी २०१२ सँ शुरू हएत।

विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी अनुवाद पुरस्कार -१३ : ऐ लेल हम श्री नरेश कुमार विकल (ययाति,मराठी उपन्यासक अनुवाद मूल लेखक श्री विष्णु सखाराम खांडेकर), श्री महेन्द्र नारायण राम (कार्मेलीन,कोंकणी उपन्यासक अनुवाद मूल लेखक श्री दामोदर मावजो), श्री देवेन्द्र झा (बांग्ला उपन्यासक अनुवाद मूल लेखक श्री दिव्येन्दु पालित) आ श्रीमती मेनका मल्लिक (देश आ अन्य कविता सभ- रेमिका थापा, नेपाली)क नामक प्रस्ताव हम दऽ रहल छी। हिनकर सभक समग्र योगदानपर पाठकसँ टिप्पणीक संग कोनो आन नाम जे ओ देबए चाहथि, आमंत्रित अछि। ई पोथी सभ २००९, २०१० वा २०११ मे प्रकाशित हेबाक चाही।३१ दिसम्बर २०११ धरि प्रकाशित रचना अहाँ दऽ सकै छी। तकर बाद रचना/ रचनाकार शॉर्टलिस्ट कऽ कऽ वोटिंग १ जनवरी २०१२ सँ शुरू हएत।

पूर्व पीठिका:
विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान दिसम्बर मासमे कोलकाता, दरभंगा, झंझारपुर आ पटनामे देल जाएत, ऐमे प्रशस्ति-पत्र आ पदक देल जाएत। विस्तृत विवरण शीघ्र देल जाएत। ऐ बेरुका पुरस्कारक सूची:-
विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान
१.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी फेलो पुरस्कार २०१०-११
२०१० श्री गोविन्द झा (समग्र योगदान लेल)
२०११ श्री रमानन्द रेणु (समग्र योगदान लेल)
२.विदेह समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार २०११-१२
२०११ मूल पुरस्कार- श्री जगदीश प्रसाद मण्डल (गामक जिनगी, कथा संग्रह)
२०११ बाल साहित्य पुरस्कार- ले.क. मायानाथ झा (जकर नारी चतुर होइ, कथा संग्रह)
२०११ युवा पुरस्कार- आनन्द कुमार झा (कलह, नाटक)
२०१२ अनुवाद पुरस्कार- श्री रामलोचन ठाकुर- (पद्मा नदीक माझी, बांग्ला- माणिक वन्दोपाध्याय, उपन्यास बांग्लासँ मैथिली अनुवाद)
ऐमेसँ श्री रमानन्द रेणु जीक मृत्यु सम्मानक घोषणाक बाद भऽ गेलन्हि, तेँ हुनकर उत्तराधिकारीकेँ ई पदक आ प्रशस्ति-पत्र देल जाएत।

No comments:

Post a Comment