Friday, November 11, 2011

चेतना समिति ,पटनाक विद्यापति पर्व समारोहक तेसर दिन (रिपोर्ट श्री सत्य नारायण झा)

विद्यापति पर्व समारोहक तेसर दिन
चेतना समिति ,पटनाक तत्वाधान मे विद्यापति पर्व समारोह रात्रि दिनांक १० -११ -२०११ क’ सोल्लास संपन्न भ’ गेल |अंतिम दिनक कार्यक्रम अन्य दिनक अपेक्षा बेसी रुचिकर छल | प्रारम्भ मे आदरणीया सुखदा पाण्डेय जी समारोहक उदघाटन केलनि |तत्पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल |आजुक कलाकार सभ नीक नीक गीत सभ गेलनि |हुनका लोकनिक मधुर आवाज सं बातावरण संगीतमय भ’ गेल | ओकर बाद नाटकक कार्यक्रम चलल | डा० विभा रानी द्वारा लिखल आ श्री कमल मोहन चुन्नू द्वारा निर्देशित ,मैथिली नाटक “मददि करू माता “क’ मंचन भेल |नाटक बहुत सुन्दर ढंग सं लिखल गेल अछि | नाटक मे व्यंग ,करुना ,घृणा ,संघर्ष तथा हास्य आदिक समाबेश छल जेकरा श्रोता करतल ध्वनि सं स्वागत केलनि |सुन्दर निर्देशन सं नाटक अत्यंत सफल रहल |आशुतोष अभिज्ञ क’ शैलवाला पुरूस्कार एबं रीतू कर्ण क’ कामेश्वरी देवी पुरस्कार ,नाटक मे सर्वोत्तम अभिनय क’ लेल प्रदान कयल गेलनि जेकर ओ हकदार छलाह | श्रोता अंत तक कार्यक्रम क’ रसस्वादन करैत रहलाह |प्रबंधन क’ छोरि सभटा नीक छल |

No comments:

Post a Comment