Saturday, October 8, 2011

बिहारक पंचायती राज मंत्री व पि‍छड़ा/अति‍ पि‍छड़ा वर्ग कल्याण मंत्री हरि प्रसाद साहक मृत्यु- (सौजन्य उमेश मंडल)










पंचतत्वमे समा गेलाह हरि‍ प्रसाद साह 

बि‍हार सरकारक पंचायती राज मंत्री व पि‍छड़ा/अति‍ पि‍छड़ा वर्ग कल्याण मंत्री हरि‍ प्रसाद साह केर पार्थिव शरीरक अंति‍म संस्का‍र दि‍नांक 4/10/2011केँ हुनक जन्मभूमि‍ सुपौल जि‍लाक ‍नि‍र्मलीमे अप्राहण 4:30 बजे ‍...नि‍र्मली महावि‍द्यालय नि‍र्मलीक परि‍सरमे राजकीय सम्मानक संग कएल गेलन्हि ‍। अंति‍म संस्का‍रमे बि‍हारक मुख्य मंत्री श्री नीतीश कुमार सेहो शरीक छलाह। मुख्यमंत्री, स्व.साहक पार्थिव शरीरपर पुष्प अर्पित केलन्हि‍।
सामजि‍क क्रांति‍क पुरोधाक अंति‍म यात्रामे उपमुख्य मंत्री सुशील कुमार मोदी, वि‍धान सभा अध्‍यक्ष उदय नारायण चौधरी, उर्जामंत्री वि‍जेन्‍द्र प्रसाद यादव, गन्ना वि‍कास मंत्री नीतीश कुमार मि‍श्रा, सुपौलक सांसद वि‍श्वमोहन कुमार,  वि‍धान परि‍षदक उप सभापति‍ वीरेन्द्र कुमार चौधरी, वि‍धायक अनि‍रूद्ध प्रसाद यादव, वि‍धान परि‍षद सदस्‍या गुलजार देवी व पूर्व वि‍धायक देवनाथ यादव, सांसद मंगनीलाल मण्‍डल, पूर्व सांसद देवेन्‍द्र प्रसाद यादव, पूर्व वि‍धायक राम कुमार यादव, वि‍धान पार्षद हारूण रसीद व वि‍नोद कुमार सिंह समेत बहुत बेसी संख्यामे नेतागण व सामाजि‍क कार्यकर्ता एवं स्‍थानीय व्‍यवसायि‍क सहि‍त अनेको लोक सभ शामि‍ल भेलाह। मुखाग्नि ‍ हुनक एकलौता पुत्र सतीश कुमार देलन्हि‍।

No comments:

Post a Comment