Friday, August 19, 2011

सुमित आनन्द संवाद

सुमित आनन्द

संवाद

कार्यशालाक आयोजन
भारतीय भाषा संस्थान मैसूरक तत्वावधानमे ल॰ ना॰ मिथिला विष्वविद्यालयक मैथिली विभागमे द्वि दिवसीय कार्यषाला 20-12-2010 तथा 21-12-2010 के ँ सम्पन्न भेल । कार्यषालामे मैथिली जगतक अनुवादक एवं प्रकाषक गण भाग लेलनि । टेक्स्ट कोना छपय आ अनुवादकक की-की समस्या अछि आदि तथ्य सभपर विषद चर्चा कयल गेल । साहित्यकार लोकनि अनुवादकार्यमे वर्तनीक अनुषासनक पालन करबाले अनुवादकर्ता सभकेँ सुझाव देलनि । एहिसँ पहिने संस्थानक मुख्य शैक्षनिक सलाहकार डॉ अजीत मिश्र मैथिली अनुवाद साहित्यक इतिहास प्रस्तुत कयलनि । एहि कार्यक्रममे मैथिली अकादमीक अध्यक्ष श्री कमलाकांत झा , डॉ शषिनाथ झा, डॉ वीणा ठाकुर , डॉ भीमनाथ झा , डॉ रामदेव झा , हृदय रोग विषेषज्ञ डॉ गणपति मिश्र , डॉ रमण झा , डॉ विभूति आनन्द , डॉ कमल कांत झा , श्री शरदेन्दु चौधरी, डॉ जगदीष मिश्र, डॉ यषोदा नाथ झा, डॉ देवकांत मिश्र , सहित लगभग पाँच दर्जन प्रतिभागी लोकनि उपस्थित भए अपन अपन विचार व्यक्त कयलनि।


भाषणमाला
मैथिली अकादमी, पटना द्वारा द्वि दिवसीय भाशणमालाक आयोजन विष्वविद्यालय मैथिली विभाग, .मे दिनांक 5-12-2010 तथा 6-12-2010 केँ भेल। पहिल दिन अर्थात् 5-12-2010 केँ सरस कवि ईषनाथ झा भाषणमालाक उद्घाटन ल0 ना0 मिथिला विष्वविद्यालयक कुलपति डॉ एस0 पी0 सिंह कयलनि तथा मुख्य अतिथि डॉ नीता झा छलीह। एहि अवसरपर मुख्य वक्ता छलीह डॉ वीणा ठाकुर, प्राचार्य एवं अध्यक्षा, विष्वविद्यालय मैथिली विभाग, ल0 ना0 मिथिला विष्वविद्यालय, दरभंगा जनिक व्याख्यानक विषय छल - मैथिली गीत साहित्यक विकास आओर परंपरा । दिनांक 6-12-2010केँ स्व0 सुषील झा व्याख्यानमालाक उद्घाटन ल0 ना0 मिथिला विष्वविद्यालय, दरभंगाक कुल सचिव डॉ विमल कुमार कयलनि। एहि अवसरपर मुख्य अतिथि छलाह डॉ मंजर सुलैमान तथा मुख्यवक्ता छलाह डॉ अमरनाथ झा, दर्षन विभाग, ल0 ना0 मिथिला विष्वविद्यालय, दरभंगा जे मिथिलामे न्याय दर्षनक विकासपर अपन व्याख्यान प्रस्तुत कयलनि। दुनू दिनक अध्यक्षता मैथिनी अकादमीक अध्यक्ष श्री कमलाकान्त झाजी कयलनि। एहि अवसरपर , डॉ शषिनाथ झा, डॉ भीमनाथ झा , डॉ वैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’, डॉ अषोक ठाकुर, डॉ रमण झा , डॉ विभूति आनन्द , डॉ मुरलीधर झा, डॉ योगानन्द झा, डॉ फूलचन्द्र झा प्रवीण सहित अनेक गणमान्य व्यक्ति सभ उपस्थित छलाह ।।(साभार विदेह www.videha.co.in)

No comments:

Post a Comment