Friday, August 19, 2011

नवेन्दु कुमार झा सेमीफाइनलमे धाराशायी भेल राजग

नवेन्दु कुमार झा
सेमीफाइनलमे धाराशायी भेल राजग

बिहार विधान सभाक सेमीफाइनल प्रदेशमे सत्तारूढ़ राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक लेल परेशानी बाला रहल। एहि चुनावमे मतदाता नीतीश सरकारकेँ जोरक झटका धीरेसँ देलनि। विधान सभाक अठारह सीटक लेल भेल उप चुनावक जे परिणाम सोझाँ आयल अछि एकर कल्पना शायद सत्तारूढ़ गठबंधन नहि कयने होयत।ज्यों एकर एहसास रहैत त चुनाव प्रचारक क्रम मे राजगक नेता अपना-आपके आत्म विश्वास सँ भरल प्रकट नहि करितथि। लोकसभा चुनाव आ विधान परिषदक स्थानीय निकाय कोटाक चुनाव मे भेटल सफलता सँ उत्साहित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि चुनाव मे जे राजनीतिक प्रयोग कयलनि से असफल रहल। राजनीति मे परिवारबाद विरूद्ध डेंग उठायब आ दल-बदलू के तरजीह देब हुनका लेल महग पडल। एहि चुनाव मे दल बदलूक पूरा मान-मर्दन मतदाता कयलनि अछि। भाजपा छोडि राजदक टिकट पर मूँगेर सँ जीतल विश्वनाथ प्रसाद गुप्ता आ उदय माँझी के छोडि आन उम्मीदवार चुनाव नहीं जीति सकल।
अठारह सीट पर भेल मतदानक परिणाम राजद-लोजपा गठबंधनक पक्ष मे गेल अछि। एहि गठबंधन के नौ सीट पर सफलता भेटल अछि त राजग के मात्र पाँच सीट पर संतोष करय पडल अछि। काँग्रेस आ बसपा लेल ई चुनाव लाभदायक रहल। काँग्रेस जतय दूटा सीट कय झटकि लेलक ओतहि बसपा एक सीट हथिया कय उत्तरप्रदेशक सीमा सँ सँटल क्षेत्र सभ मे परिवार बादक विरूद्ध जे विगूल मुख्यमंत्री फूकलनि से निरर्थक गेल। पूरा बिहार नीतीश के, घोसी जगदीश के’क नाराक संग जदयू सांसद जगदीश शर्माक कनिया शांति शर्मा निर्दलीय उतरि जीतय मे सफल रहलीह एहि ठाम जदयूक उम्मीदवार तेसर नम्बर पर चलि गेलनि।
दल बदलू के जनता रास्ता देखा देलक। राजद छोडि जदयू मे सम्मिलित भेल रमई राम, श्याम रजक, अजय कुमार टुन्ना, जदयू छोडि भाजपाक टिकट पर चुनाव लडल अभय सिंह, जदयू छोडि राजदक दामन थामने विजय राम आ ललन पासवान सहित कतेको दल बदलू विधान सभाक चौखट धरि पहुँचय मे असफल रहलाह। प्रदेश मे नव सोशल इंजिनियरिंग मे लागल मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रयास एहि चुनाव मे असफल रहल। महादलित आ अति पिछडाक रूप मे नव वोट बैंक तैयार करबाक प्रयास के सेहो झटका लागल अछि। एहि उपचुनाव मे सात टा सुरक्षित क्षेत्र सेहो छल जाहि मे सँ मात्र दूटा सीट जदयू के भेटल जखनकि राजद आ लोजपा अपन-अपन कब्जा बाला सुरक्षित सीट बचब मे सफल होयबाक संगहि लोजपा बोधगया (सु0) आ काँग्रेस चेनारी (सु0) सीट राजग सँ छीनि लेलक। ई उपचुनाव न्यायक विकास’क नारा देबय बाला नीतीश सरकारक लेल जनताक चेतौनी अछि त राजद आ लोजपाक लेल आत्म विश्वास बढब बाला कहल जा सकैत अछि। काँग्रेसक लेल ई चुनाव प्रयोग पहिल सफलता अछि असगर लडबाक काँग्रेसक निर्णय सँ एहि सँ आलाकमान पर दबाब बनब मे सफलता भेटत। उत्तरप्रदेश सीमा सँ सटल नौतन सीट पर बसपा अपन कब्जा जमा सभ राजनीतिक दलक लेल खतराक घंटी बजा देलक अछि।
उपचुनावक परिणामक सभ दल अपना-अपना दलक मोताबिक विश्लेषण क रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हारिक कारण स्थानीय मुद्दा के जनैलनि अछि आ एहि हारिक चिंतन करबाक बात कहलनि अछि। भाजपाक निशाना पर काँग्रेस अछि। भाजपाक अध्यक्ष राधामोहन सिंहक मानब अछि जे राजद-लोजपा आ काँग्रेस भीतरे-भीतरे एकजूट छल आ राजग के नोकसान पहुँचैबा लेल काँग्रेस असगर मैदान मे उतरल जहि सँ राजग के नोकसान भेल अछि। लोजपा अध्यक्ष रामविलास पासवान आ राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद एहि जीत पर खुशी व्यक्त करैत कहलनि जे चुनाव परिणाम नीतीश सरकारक पोल खोलि देलक अछि। विकासक नाम पर जनताक ठगबाक काज आ महादलित आ अति पिछडलक नाम पर समाज के बँटबाक प्रयासक जबाब जनता द देलक अछि। काँग्रेस अध्यक्ष अनिल कुमार शर्मा दू सीट पर भेटल सफलता आ पार्टी प्रदर्शन के सोनिया गाँधी आ राजीव गाँधीक बढैत लोकप्रियताक परिणाम जनौलनि अछि। भाजपाक आरोप के खारिज करैत श्री शर्मा कहलनि अछि जे काँग्रेस ककरो वोट बैंक मे सेंधमारी नहि कयलक बल्कि काँग्रेसक जे वोट बैंक छिटकि गेल छल ओकरा वापस अपना दिस अनलक अछि।
हाँलाकि एहि परिणाम सँ सरकारक स्वास्थ्य आ स्थिरता पर कोनो असरि नहीं पडत मुदा भाजपा आ जदयूक भीतर आक्रोशक विस्फोट भ सकैत अछि आ एकर किछु बानगी सेहो सोझा आयल अछि। ओना एहि चुनाव के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आत्म विश्वासक संग सेमीफाइनल कहैत छलाह आ खेलक नियमक मोताबिक सेमीफाइनल हारलाक बाद फाइनल मे स्थान नहीं भेटैत अछि मुदा राजनीतिक नियम अपना अनुसार बनैत अछि। हारि के जीत आ जीत के हारिक विश्लेषण राजनीतिक दल आ राजनेता अपना अनुसार सँ करैत छथि आ नियमानुसार फाइनल मे फेर राजग, लोजपा-राजद आ काँग्रेस एक दोसरा के सोझा होयत त परिणाम कि होयत ई त भविष्यक गर्त्त मे अछि मुदा सत्तारूढ भाजपा-जदयूक राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधनक बढल आत्म विश्वासक खतराक घंटी जनता बजा देलक अछि।
वि0 सभा विजयी उम्मीदवार निकटतम प्रतिद्वन्दी भोटक
क्षेत्र आ दल आ दल अंतर
बगहा(सु0) कैलाश बैठा नरेश राम 6950
(जदयू) (काँग्रेस)
नौतन नारायण प्रसाद मनोरमा प्रसाद 13326
(बसपा) (जदयू) वारिसनगर विश्वनाथ पासवान डा0 संजय पासवान 6235
(सु0) (लोजपा) (भाजपा)
कल्याणपुर अशोक वर्मा रंधीर कुमार 19029
(राजद) (जदयू)
बोचहाँ मुसाफिर पासवान रमई राम 4000
(सु0) (राजद) (जदयू)
औराई सुरेन्द्र राय राम सूरत राय 8801
(राजद) (जदयू)
अररिया विजय कुमार मंडल अजय कुमार झा 13468
(लोजपा) (भाजपा)
बेगूसराय कृष्ण सिंह सुदर्शन सिंह 9259
(भाजपा) (लोजपा)
त्रिवेणीगंज दिलेश्वर कामत दीनबन्धु यादव 11419
(जदयू) (लोजपा).
धोरैया मनीष कुमार नरेश दास 2695
(सु0) (जदयू) (राजद)
मूँगेर विश्वनाथ प्र0 गुप्ता मो0 सलाम 4152
(राजद) (जदयू)
सिमरी चौधरी महबूब अली डा0 अरूण कुमार 5870
बख्तियारपुर कौसर (काँग्रेस) (जदयू)
रामगढ अम्बिका प्र0 यादव नरेन्द्र कु0 सिंह 2957
(राजद) (बसपा)
चैनपुर बृजकिशोर बिन्द विरेन्द्र कु0 सिंह 3369
(भाजपा) (राजद)
चेनारी मुरारी प्रसाद गौतम ललन पासवान 1150
(सु0) (काँग्रेस) (राजद)
घोसी शांति शर्मा दिनेश प्र0 यादव 5200
(निर्दलीय) (राजद)
बोध गया कुमार सर्वजीत विजय कुमार मांझी 7662
(सु0) (लोजपा) (भाजपा)
फुलवारी उदय मांझी श्याम रजक 1274
शरीफ(सु0) (राजद) (जदयू)

सीटक हेरा-फेरी
विस0 सीट 2005 उपचुनाव
रामगढ राजद राजद
चैनपुर राजद भाजपा
चेनारी जदयू काँग्रेस
बेगूसराय भाजपा भाजपा
घोसी जदयू निर्दलीय
नौतन जदयू बसपा
बगहा जदयू जदयू
औराई जदयू राजद
बोचहाँ राजद राजद
फुलवारी राजद राजद
कल्याणपुर जदयू राजद
वारिसनगर लोजपा लोजपा
त्रिवेणीगंज जदयू जदयू
बेगूसराय भाजपा भाजपा
मूँगेर जदयू राजद
अररिया भाजपा लोजपा
धोरैया जदयू जदयू
सिमरी बख्तियारपुर जदयू काँग्रेस


परिणाम तालिका

दल सीट(सं0) मे विधान सभा सीट राष्ट्रीय जनता दल 06 फुलवारी शरीफ(सु0), रामगढ,
मूँगेर,बोचहाँ(सु0), औराई आ
कल्याणपुर।
लोकजनशक्ति पार्टी 03 वारिसनगर(सु0), अररिया आ
बोढगया(सु0)।
जनता दल यूनाइटेड 03 बगहा(सु0), धोरैया(सु0) आ
त्रिवेणीगंज।
भारतीय जनता पार्टी 02 चैनपुर आ बेगूसराय।
काँग्रेस 02 चेनारी(सु0) आ सिमरी
बख्तियारपुर।
बहुजन समाजवादी पार्टी 01 नौतन।

निर्दलीय 01 घोसी।

कुल 18 (साभार विदेह www.videha.co.in)

No comments:

Post a Comment