Friday, August 19, 2011

इर्लिंग आर्ट ग्रुपक 95 म वार्षिक कला प्रदर्शनी -ज्योति सुनीत चौधरी

इर्लिंग आर्ट ग्रुप के अन्तर्गत जे 95म वार्षिक कला प्रदर्शनी लागल छल ताहिमे हमर तीन टा मधुबनी पेण्टिग सेहाे प्रदर्शित छल। ई कला तऽ अहुना विश्व भरिमे अपन पहचान बना चुकल अछि। अहु प्रदर्शनीमे अहि कलाके उच्च स्थान भेटल छल।सब बेर बढ़िया कलाके द्वार पर जगह भेटैत छल से अहि बेर मधुबनी वा मिथिला चित्रकलाके प्रवेश द्वार लग जगह भेटल छल।प्रदर्शनी हाॅलमे प्रवेश करैत देरी बामा कात सबसऽ पहिने काेहवर आ अन्य दू टा चित्रकला नजरि आबैत छल।
कैटेलाॅगमे सेहाे हमर नाम दाेसर स्थान पर आ हमर पेण्टिग के नाम तेसर चारिम आ पाॅचम स्थान पर छल।जे कलाकार पहिल स्थान पर रहैथ तिनकर दू टा आॅयल पेण्टिग प्रवेश द्वारपर दहिना कात विराजमान छलैन।पहिल दिनक प्राइवेट व्यू वला दिन कम सऽ कम 100 लाेकक भीर लागल छल।अहि सफल प्रदर्शनी मे मिथिला चित्रकलाके जे सम्मानजनक स्थान भेटल छल से वास्तवमे प्राेत्‍साहक अछि।(साभार विदेह www.videha.co.in)

No comments:

Post a Comment